मध्य रेलवे (भारत)
आरम्भ तिथि | १९५१–वर्तमान |
---|---|
पूर्ववर्ती | ग्रेट इन्डियन पेनिनसुला रेलवे, सिन्धीसभ स्टेट रेलवे, धौलपुर रेलवे आर अन्य |
ट्रयाक पटरी | मिश्रित |
मुख्यालय | मुम्बई |
मध्य रेल, भारतीय रेलक १६ सबसँ बड़का अञ्चलसभमे सँ एकटा अञ्चल छी आ अहिक मुख्यालय मुंबईमे छत्रपति शिवाजी टर्मिनस (पहिने भिक्टोरिया टर्मिनस)मे स्थित अछि । अहिके अन्तर्गत भारतक पहिल यात्री रेल लाइन सेहो आबैत छै, जहिमे १६ अप्रैल १८५३ क मुम्बईसँ ठाणेके बीच चलाओल गेल छल ।
मध्य रेलके अंतर्गत महाराष्ट्रक अधिकांश, कर्नाटकके उत्तर-पूर्वी क्षेत्र आ मध्य प्रदेशक दक्षिणी हिस्सा आबैत अछि। अही रेल अंचल कs गठन ५ नवम्बर १९५१ कs बहुतो सरकारी स्वामित्व वला रेलसभ कs मिलाकs कएल गेल छल, जाहीमें ग्रेट इंडियन पेनिनसुला रेलवे, पूर्व रियासत ग्वालियरक सिंधिया स्टेट रेलवे, निजाम स्टेट रेलवे आ धौलपुर रेल शामिल छल।
पहिले उत्तरी मध्य प्रदेश, छत्तीसगढ़ आर दक्षिणी उत्तर प्रदेशक इलाका सेहो मध्य रेल अंचलक अंतर्गत आबैत छल जकर कारण अही क्षेत्र, रेलपथक लंबाई आ कर्मचारिसभ कs संख्याके हिसाबसं भारतक सबसं बड़का रेल अंचल बनि गेल छल। अप्रैल २००३ में अही क्षेत्रसभ मिलाकs एकटा नया रेल अंचल पश्चिम मध्य रेल कऽ गठन कएल गेल ।
मंडल
[सम्पादन करी]एकरे अंतर्गत आबऽबला मंडल छी: मुंबई, भुसावल, पुणे, शोलापुर आर नागपुर
†कोंकण रेलवे भारतीय रेलके एकटा अनुषाङ्गिक इकाईके रूपमे परन्तु स्वायत्त रूपसँ परिचालित होमएवला रेल व्यवस्था छी जकर मुख्यालय नवी मुम्बईके बेलापुरमे राखल गेल अछि। ई सीधा रेलवे बोर्ड एवं केन्द्रीय रेलमन्त्रीके निगरानीमे काम करैत अछि।